कामिनी झा
सिद्धि संवादाता – नई दिल्ली
नई दिल्ली -एनसीआर मे रहनिहार सब मैथिल आ मैथिलानी सँ आग्रह जे संसद सत्र के ७(7) दिसंबर २०२२, बुद्धदिन (१०बजे दिन सँ ५ बजे सांझ तक ) जंतर मंतर, नई दिल्ली ( नजदीकी मेट्रो स्टेशन राजीव चौक आ पटेल चौक ) पर मिथिला राज्यक निर्माण, मैथिली भाषा के समुचित संवैधानिक अधिकार आ मिथिलाक सर्वांगीण विकासक मुख्य मुद्दा पर ” विशाल धरना आ प्रदर्शन ” अछि । अपने सब सँ आग्रह जे बेसी सँ बेसी संख्या मे आबि आंदोलन के सफल बनाबी आ मिथिलाक मान-सम्मान स्थापित करी।
उपरोक्त ३ मांग के अतिरिक्त तत्कालीन और मुख्य मांग :-
—————————————————–
१. मैथिली मे प्राथमिक आ माध्यमिक शिक्षा लेल जल्द सं जल्द कार्यवाही
२. बिहारक एकमात्र संवैधानिक दर्जा प्राप्त मैथिली भाषा के राजभाषाक मान्यता
३. मैथिली भाषा मे पोथी छपा शीघ्र १८ जिला मे मैथिली मे प्राथमिक शिक्षा
४. विद्यालय सँ महाविद्यालय तक मैथिली शिक्षक के बहाली
५. दरभंगा दिल्ली राजधानी के परिचालन
६. मिथिला मे मैथिली दूरदर्शन के स्थापना
७. दरभंगा मे हाइकोर्ट बेंचक स्थापना
८. मिथिला मे आईआईटी,आईआईएम, आई टी पार्क के स्थापना
९. दरभंगा,सहरसा, भागलपुर गरीब रथक प्रतिदिन सेवा
१०. कोशी नदी पर शीघ्र दिल्ली- मुम्बई सहित आनो महानगर सं रेलक परिचालन
११. पूर्णिया आ भागलपुर सं विमान सेवा
१२. चीनी मिल, जूट मिल, पेपर मिलक पुनरोद्धार
१३. माछ,मखान आ पान उद्योग के आर्थिक मदद
१४. लघु उद्योग आ कुटीर उद्योग के बढावा
१५. भागलपुरक सिल्क उद्योग के आर्थिक मदद
१६. मिथिला पेंटिग के राष्ट्रीय स्तर के संस्थान
१७. दरभंगा, सहरसा आ सीतामढ़ी के स्मार्ट सिटी के घोषणा
१८. नेपाल सरकार संगें समझौता कय कोशी नदी पर वाराह, कमला-वाग्मती पर शीशापानी- नून्थर मे डैम बना पनबिजली परियोजना के मंजूरी आ बाढि रोकबाक स्थायी निदान
१९. मजदूर, छात्र सहित आम मैथिल के पलायन पर रोक
२०. बेरोजगारी, भ्रष्टाचार आ गुंडागर्दी पर रोक
२१. तकनीकी शिक्षाक विकास आ रोजगारोन्मुखी शिक्षा पर जोर
२२. आम आ लीची के उत्पादन पर जोर आ मिथिला क्षेत्र मे एकर रसक पैकिंग के बढाबा लेल अनुदान
२३. मिथिलाक्षर लिपि के संरक्षण आ संवर्द्धन
२४. महानगर मे मैथिलक जनसंख्या मुताबिक नव ट्रेन के परिचालन
२५. ल० ना० मिथिला विश्वविद्यालय दरभंगा के सेंट्रल विश्वविद्यालय के दर्जा
२६. सी० बी० एस० सी०, सेंट्रल स्कूल आ सीटेट मे मैथिली भाषा के स्थान।
२७. दिल्ली मे ५० लाख मैथिलक जनसंख्या देखैत दिल्ली विश्वविद्यालय आ जे एन यू में मैथिली भाषा के पढाई।
२८.मिथिला क्षेत्र मे ३-४ ट्रामा सेंटर बना स्वास्थ्य सेवा के दुरूस्त कैल जाय।
२९. दरभंगा एयरपोर्ट सं उङान आ’ यात्री के संख्या देखैत विस्तार एवं आधुनिकीकरण. इंटरनेशनल एयरपोर्ट के दर्जा लेल उचित विकास.
३०. दरभंगा मे प्रस्तावित एम्स के शीघ्र काजक निष्पादन.
३१. मिथिला मखान के उत्पादन बढाबय लेल सरकारी योजना आ’ आर्थिक सहायता के मांग
३२. मिथिला क्षेत्र मे मिलिट्री बेस बना कोरिडोर के स्थापना
३३. मिलिट्री ट्रेनिंग स्कूल के स्थापना
३४. बोर्डर पर मिथिला के नौजवान के शहादत के देखैत मिथिला रेजिमेंट के स्थापना
३५. रामनवमी जेकाँ जानकी नवमी के राष्ट्रीय पर्व के घोषणा
३६. छात्र- नौजवान के तकनीकी शिक्षा आ’ रोजगारोन्मुखी शिक्षा
३७. किसान- मजदूर के सरकारी योजना सं अस्तित्व के रक्षा